१६ चैत्र २०८०, शुक्रबार
Tags

मिथिला माध्यमिकी परिक्रमा मेला जलेश्वर नगरपालिमे आई

Ranbhumi बुधबार, चैत्र ०४, २०७७

महोत्तरी / जलेश्वर नगरपालिका, मिथिला माध्यमिकी परिक्रमा मेला ९उत्सव, जात्रा० के अवसरमे सार्वजनिक विदाके घोषणा केने अछि ।

जिल्ला सदरमुकामसेहो रहल जलेश्वर नगरपालिका आई ९बुधदिन० परिक्रमा मेलाक लेल सार्वजनिक बिदा घोषणा केने अछि । मिथिला माध्यमिकी यात्राके पाचम दिन आई राम–सीताके डोलासहितक यात्री रात्रिविश्रामक लेल जलेश्वर अएबाक क्रम भिन्सरेसँ शुरु भेल अछि । मिथिला माध्यमिकी परिक्रमा तराईके महान धार्मिकयात्रा आ लोक परम्परा रहलासँ उत्सव मनएबाक लेल सार्वजनिक बिदा घोषणा केने नगर कार्यपालिकाक कार्यालय जनाओने अछि । हजारौं नरनारी आ साधुसन्तसहित अप्पन नगरमे रामसीताक डोली आएल कहएत अतिथि स्वागत आ डोलाक दर्शनके लेल सार्वजनिक विदा देने प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत रामुराज कडरिया बताओलन्हि ।

बितल शनिदिन धनुषाक ठेराकचुरीसँ शुरु भेल १५ दिनक मिथिला माध्यमिकी परिक्रमाक टोली चारिम दिन मटिहानी अएलाकबाद महोत्तरीक यात्रा प्रारम्भ भेल अछि । आब आई पाचम दिन जलेश्वरमे रात्रिविश्राम कऽ छठ्म दिन मडै, सातम दिन ध्रुवकुण्ड आ आठम दिन कञ्चनवनके बास पश्चात महोत्तरीक यात्रा करत ।

यहाँ कमेन्ट गर्नुहोस्